कांट / प्रदीप बिहारी

Gadya Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

ढोल-पिपही बन्न भ'गेल रहैक। मात्र शहनाइ टा बजैत छलैक। सेहो लाउडस्पीकरसं। बरियातक भोजन भ' गेल छलैक। आंगन शान्त भ'गेल छलैक। आयोजनक थाकनिसं झमारल लोक सभ कोठरी सभमे आ जत'-तत 'ग' र ध'लेने छल। वर कोबरमे एकसरि रहि गेल छलाह। बिधकरी पुनीताकें ल' जा क'कोबर घरमे प्राय: ठेलैत प्रवेश करौलनि आ केबाड़ सटा क' भीतरसं बन्न होएबाक प्रतीक्षामे ओसारा पर एकटा कुर्सी ल 'क' बैसि गेलीह। ओही ओसारा पर पुनीताक माय एकटा कोनमे दरी पर बैसलि छलि।

बैसले-बैसल बिधकरीक आंखि लागि गेलनि। केबाड़ भीतरसं कखन बन्न भेलैक, बूझि नहि सकलीह।

प्राय: सभ निसबद भ'गेल। मुदा, पुनीताक मायक आंखिसं निन्न अलोपित छलनि। पुनीताक पिता राम शरण पत्नी कें ई कहि दलान दिस सूत' लेल गेलाह जे निन्न तं नहि होएत। अहूँ थकानसं झमारले छी, तैयो देखबै।

पुनीताक माय बाजलि, "अहाँ जाउ। कनियो आंखि मोड़ि लिअ'। भोरेसं काज सभ लधा जाएत। निश्चिंत रहू। हमर पिपनियो ने खसत। मोन टांगल रहत।"

आतुर प्रतीक्षाक संग बाट तकैत वरक सोझां पुनीता लाजें एहि तरहें बैसलि छलीह, जेना कोनो मोटरी राखल होअए. वर माने नवदीप सोचैत छल-केहन छै ई छौंड़ी? कौन जमानाक छैक? पढ़लि-लिखलि छैक। पुरना जमानाक सेहो नहि छैक। तखनि एहन लजकोटरि! कहने रहियनि बाबूकें, मायकें सेहो कहने रहियै लड़िकीक फोन नम्मर देबा लेल। मुदा, माय लाथ क'लेलकि जे ओकरा मोबाइल नहि छैक। पिताक मोबाइल पर फोन क' कोना कहल जाएत जे हमर बेटा अहांक बेटीसं गपसप कर' चाहैत अछि। नीक लगतैक?

नवदीप सोचैत छल-जं पहिनेसं गपसप होइत रहितैक तं एना लाजे कठौत नहि भेल रहितए. संवाद कोना शुरुह कएल जाए?

पुनीता चुपचाप बैसलि छलि। स्वयंकें सम्हारबाक प्रयासमे कतबो मोनकें बान्हि क'आनए, मुदा, बन्हा नहि पबैक। ओकरा चिन्ता होम' लगलैक जे किछु अनट-सनट ने भ' जाइक। तं की सोचताह? बताहि अछि? नहि, से नहि सोचताह। हिनका सभकें तं कहल गेल छनि। आ ई तं लेखक-पत्रकार छथि।

ओ उत्तेजितो छलि आ डेराएलि सेहो। तखने एकटा मद्धिम स्वर सुनएलैक, "ओत'अछोप जकां किएक बैसलि छी। ल' ग आउ। परिचय-पात करी। की नाम अछि?"

पुनीताकें अचरज भेलैक-केहन लोक छथि। आब लोक कनियासं नाम पुछैत छैक? नाम तं बुझले रहैत छैक। नाम ध 'क' बजबैत छैक। सांचे, बड़ सुद्धा छथि। सज्जन सभ छथि हिनक परिवारक लोक सभ। तखन ने...

मुदा, तखनहि ओकर मोन कहलकैक-नहि, भ्रममे नहि रह पुनीता। पुरुष आ सुद्धा? बिसरि गेलही?

केओ शहनाइक स्वर तेज क' देने रहैक।

नवदीपकें रहल नहि गेलैक। उठल आ पुनीता लग जा क' ओकर बांहि पकड़ि उठबैत बाजल, "उठू। चलू ओछाओन पर। गपसप करी।"

आ कि तखनहिं।

पुनीता चिचिया उठलि, "नहि रे...नहि ...माय गे माय..." ओकरा गरा लागि गेलैक। मुदा अनवरत घिघिया रहल छलि। देह कांपि रहल छलैक।

पुनीताक स्वर तीव्र होइत-होइत नहूं-नहूँ स्थिर भेलैक। स्थिर होइतहिं पुनीताकें ग्लानि भेलैक। ई की भ'गेलैक। पहिल भेंटमे ई की भ' गेलैक? ओ एतबे बाजि सकलि, "गलती भ' गेल। माफ करी।"

नवदीप हतप्रभ। ई की? मिर्गी उठैत छैक की? ओकरा किछु ने फुरएलैक। ओ पुनीता दिस एकटक ताकि रहल छल। सोचलक, भने तुरंते सम्हरि गेलि, नहि तं।

पुनीता ग्लानिसं गड़ल जा रहलि छलि।

पुनीताक स्वरसं बिधकरीक निन्न टुटलनि। पुनीताक माय सेहो चेहएलीह। उठि क'केबाड़ दिस गेलीह आ घुरि अएलीह। बिधकरी सेहो केबाड़ लग जा क' किछु अकान' चाहलनि। तखनहिं पुनीताक दूटा संगी ठिठिआइत अएलैक आ बिधकरीकें कहलकैक, "कथी अखिआसै छही?"

बिधकरी डांटलनि, "कत'रही तों सभ? जो, भाग। जो सुत'।"

छौंड़ी सभ सहटि गेलि।

केबाड़ फुजलैक। सोझांमे बिधकरी रहथिन। नवदीप बाजल, "ल' जाथुन हिनका। लगै छै, मोन खराप छनि।"

बिधकरी देखलनि जे पुनीता ओछाओन पर बैसलि छलि। ओ पुनीताकें लेने बहरा गेलीह।

पुनीताक मायकें लगलैक जे ओसारा पर गड़ि जेतीह। मुदा, ओ हिम्मति कएलनि आ बेटीक पाछां-पाछां लागि गेलीह।

नवदीप केबाड़ बन्न क' लेलक।

कोठरीमे जइतहिं पुनीता मायकें पकड़ि कान' लागलि। बिधकरी पुछलनि, "की भेलौ पुनीता? एना..."

बिच्चहिमे पुनीताक माय बजलीह, "ठीक भ'जेतै। अहाँ जाउ। कने आराम क' लिअ'।"

बिधकरी कोठरीसं बहरा गेलि।

पुनीता मायक मुंह दिस तकैत बाजलि, "माय गै! बड़ सम्हरलियै हम। मुदा..."

"तों सतर्क छलें, तें एना भेलौक। स्वाभाविक रूपें रहितें, तं एना नहि होइतौक। बेस, देखही ... काल्हि भोरे पाहुनक की प्रतिक्रिया होइत छनि?"

नवदीपक निन्न अलोपित भ'गेलैक। भांति-भांतिक गप सभ मोनमे उपजैक। शंका-आशंका ओकरा घेरि लेलकै। ओ मोबाइल उठौलक। मोन भेलैक मायकें फोन करए. मुदा, नहि क' सकल। बाबू कें फोन करए. ओहो निन्न गबैत होएताह। सोचलक, आखिर की देखलखिन लड़िकीमे? कोनो गड़बड़ी तं ज़रूर छैक।

नहि, वह ककरो फोन नहि करत। मोबाइल बन्न क' लेलक। मुदा, एहन कनिया संग ओ रहियो ने सकत। ओकर मोन औनाय लगलैक।

केबाड़ पीटबाक स्वरसं साकांक्ष भेल। केबाड़ खोललक। दूटा छौड़ी छलि। केबाड़ फुजितहिं बाजलि, "अहाँ तं हाहुती निकललहुं जीजा जी."

कहैत दुनू छौंड़ी कोठरीमे पैसि गेलि। छौड़ी दुनूक ठट्ठासं नवदीपकें कनियो गुदगुदी नहि लगलैक। दोसर छौंड़ी बाजलि, "दीदी चिचिएलै, तं हमर निन्न टूटल। भागल जाइत रहए की?"

नवदीप चिन्तामे पड़ि गेल। एकर माने बहुतो लोकक निन्न टुटि गेल होएतैक? मुदा, पहिल छौंड़ीक गप ओकर चिन्ताक निवारण केलकैक। ओ दोसर छौड़ीकें धोपलकि, "गे झुट्ठी! तो सूतल रही कि खिड़की लग कान पथने रही।"

नव वातावरण में बैसल नवदीपक मोन हदमद कर' लगलैक। एहनो कतहु ठट्ठा भेलैए?

आ कि तखनहिं पुनीताक माय जुमलीह आ बाजलि, "गै छौंड़ी सभ। भोरे-भोर कथीमे लागल छें? पाहुनकें फ्रेस होम' देबहुन, चाह-ताह देबहुन से नहि तं..."

नबका चलनसारिक अनुसार बियाहक प्राते भेने बिदागरीक बात रहैक। मुदा, नवदीप से मना क' देलक। पितादबाओ देलखिन-से कोना हेतै?

"से जेना होइक। मुदा, बिदागरी नहि हेतैक।" मूड़ी झुकौनहि बाजल नवदीप।

"पूर्वेसं कार्यक्रम तय छैक। एहिमे व्यवधान नहि होम' दही। अपन जुति नहि चलो।" पिताक स्वर छल।

"बियाह अहांक जुतिए भेल आ आब दुरागमन हमरा जुतिए हेतैक।"

पिताक मुंह अपन सन भ'गेलनि। सोचलनि, आइधरि हुनक गपक उतारा धरि नहि दै बला नवदीप अनचोके मुंहमे झीक किएक देब' लागल। एतेक उछ्रिंखल कोना भ'गेल? मुदा ओ चुप भ' गेलाह। चारूकात तकैत गणित कर' लगलाह जे पिता-पुत्रक ई संवाद कतेक गोटे सुनलक?

दुरागमन नहि भेलैक।

दुरागमन नहि भेलैक से बात कन्यागत दिस सेहो एकटा प्रश्न ठाढ़ कएलक। बियाहमे आयल सर-कुटुम आ गामक लोक सभ सेहो हतप्रभ छल। बिधकरी नवदीपसं पुछलनि, तं हुनक प्रश्नक उतारा प्रश्नेसं देलक, "पहिने ई सभ ने कहथुन जे पुनीताकें मिर्गीक दौरा अबैत छैक, से बात हमरा सभसं किएक नुकाओल गेल?"

बिधकरी आश्चर्यचकित। बाजलि, "नहि, पाहुन। हिनका कोनो भ्रम भेलनि-हें। तेहन कोनो बात नहि छैक। ओना हम पुनीता सभक संग नहि रहैत छी, मुदा, ई बात सभ नुकाएल थोड़े रहैत छै। बड़ स्वाभाविक ढंगे रहैत अछि पुनीता। हं, थोड़ेक अन्तर मुखी अछि। कम बजैत अछि। आर किछु तं नहि सुनलियै कहिओ."

"मुदा, हुनका मोन पर कोनो बोझ छनि।" नवदीप बाजल, "जे किछु होनि, बियाहसं पहिने स्पष्ट भ' जएबाक चाही छलैक।" कने थम्हैत बाजल, "एक कप काफी भेटतैक?"

नवदीप काफी पीबाक अपन इच्छा ओहिना बिधकरी कें कहने रहए, जेना अपन चैनलक कैन्टिन ब्याय के कहैत अछि।

"हं, हं। किएक ने।" बजैत बिधकरी कोठरीसं बहरा गेलि।

नवदीप केबाड़ बन्न क'एसगर रह' चाहलक। मुदा, लगलैक जे एखनिए गदहबेरमे केबाड़ बन्न करब अस्वाभाविक होएतैक। ओकरा लगलैक जे गदहबेरेमे आइ एतेक अन्हार कोना पसरि गेलैए?

बिधकरी काफीक ब्योंत करैत सभटा बात पुनीताक मायकें कहलनि। पुनीता सेहो ओत्तहि छलि। शून्यमे तकैत।

आंगनमे एकटा स्वर पसरलैक। नन्दनमा बजैत छल, "कत' गेल रमअसीसबा। लाउडस्पीकरमे भोजपुरीक अनट-सनट बजबैत छल, तं कहलियै जे विद्यापतिक गीत लगा दही। आर कोनो गीत नहि भेटलै खचराहाकें।"

लाउडस्पीकर सं गीत बहराइत छल-सखी हे हमर दुखक नहि ओर।

पुनीता मायसं पुछलकि, "माय आब की हेतै?"

माय चुप।

"हम हुनकासं भेंट कर' चाहै छी।"

बेटीक माथपर हाथ फेरैत आ ओकर केश सोहराबैत माय बजलीह, "सभ ठीक भ' जएतैक। तों स्वयं पर भरोस कर। सहज रहबाक प्रयास कर।"

आंगनक वातावरण गंभीर छलैक। आंगनमे उदासी दरी ओछाओल छलैक मने। सर-कुटुम सभ प्रात भेने घुरबाक लेल बोझिल मने समान सैंतबाक उपक्रम में छल। जं वरे ने खुश, तं ...

काफी ल 'क' सासु स्वयं जमाय लग गेलीह। काफी दैत बजलीह, "हम हिनकर सासु हेबनि।"

नवदीप सासुकें गोर लगलक।

"पाहुन! ई किछु बूझ' चाहैत छथि?"

"हं।" नवदीप बाजल, "हम ई जान' चाहैत छी जे पुनीताकें मिर्गीक उठैत छनि, से बात हमरा सभसं किएक नुकाएल गेल?"

"पहिने ई जानथु जे पुनीताकें कोनो मिर्गी नहि उठैत छै।" सासु बजलीह, "ओ स्वस्थ अछि।"

"स्वस्थ लोक कतहु एहन बतहपनी केलकैए नेना ओ ..."

"ओ कखनो क'असहज भ' जाइए. कोनो विशेष परिस्थिति मे।" सासु बजलीह, "ई बात हिनक पिताकें कहाओल गेल छल। हम सभ घटककें कहने रहियनि जे ई बात नुकाओल नहि जाए."

"नहि, ई बात हमरा सभसं नुकाओल गेल।"

"कथाक स्वीकृतिक बाद हमरा सभकें लागल जे एकटा उदार परिवारसं सम्बन्ध जुटि रहल अछि। ताहूमे, हिनका द'सुनलियनि जे टी. भी। के पत्रकार छथि, कवि छथि... आ पिताक तय कएल कथा क' रहल छथि, तं गौरव भेल जे पुनीता सनक कन्याकें हिनके सनक वर होमक चाही। हिनका सन युवक कते छैक आइकाल्हि?"

"भ्रममे नहि रहथु।" नवनीत ठाहिं-पठाहिं बाजि रहल छल, "हमरा सभकें किछु नहि कहल गेल, मात्र ठकल गेल।"

"जं हिनका सभकें नहि बूझल छनि, तं सुनथु। पहिने ओहि परिस्थिति कें सुनि लथु जाहिमे पुनीता असहज भ'जाइए. तकर बाद हिनकर जे मोन होनि, करथु। हिनका पर कोनो दबाव नहि पड़तनि। आब ई हमर जमाय छथि, तें बेटे सन छथि। ई बात हम पछिला बारह बर्खसं हम दुनू प्राणी अपना मोनमे उघि रहल छी।" सासु बाज' लगलीह-

" हम सभ कलकत्ता में रहैत रही। पुनीता सातमामे पढ़ैत रहए. पढ़'मे चन्सगर छल। एकदिन स्कूलसं घुरि क' नहि आयलि। रातिक आठ बजे धरि बाट तकलियै। नहि आयलि, तं ओकर पापा थाना गेलाह। थाना वला सनहो ने लिखलक। उन्टे ई कहि भगा देलकनि जे ककरो संग पड़ा गेल हेतौ। देह-मोन ठंढा जेतै, तं घुरि औतौक।

हमरा सभक पेटक पानि सुखा गेल। मुदा, भरोस रहए जे पुनीता ककरो संग पड़ाएल नहि होयति। बयसे की रहैक? अगिला दिन धरि खाली थाना जाइ. लोकलाजें कतहु बाजल नहि रही। सोचनहि रही जे तेसर दिन लोक सभकें कहबै। मुदा, ओही रातिमे एकटा कारसं किछु गोटें आबि क' पुनीताकें हमरा डेराक गेट पर पटकि गेलैक। पड़ोसिया सभ देखलक। हमहूँ सभ गेलहुं। पुनीता स्कूल ड्रेसमे अस्त-व्यस्त छलि। पड़ोसिए सभक मदति सं चुपचाप ओकर इलाज कराओलियैक। थाना-पुलिस सनहो ने लिखलक। ताहि समय आइकाल्हि जकां टी भी-अखबार बला सभ नहि छल। दोसर बात रहलो हएत तं हमरा सभ सन लोक लेल बहुत दूरक बात रहए.

पड़ोसिया सभ बादमे खिधांस कर'लागल। एकर पापा भोरे ड्यूटी जाथि, तं राति क' घुरथि। ओ एहि दुआरें जे पड़ोसिया सभ किछु-किछु टोन्ट कसि दनि। दोसर, ई जे, कौन आंखिए फूल सनक बेटीक ई दशा देखब। ओ बेटीक सोगे गलल जा लगलाह। आ पुनीताक हाल कहबा लेल... शब्द नहि भेटैए हमरा। " अपन आंखि अविरल बहैत जाइत नोरकें पोछैत सासु फेर बाज' लगलीह-

" पाहुन। अपना क्षमता भरि हम हिम्मति नहि हारलहुं। पुनीता आ ओकर पापाकें ओहिना जोगएलहुं, जेना कोनो स्त्री दीपकें आंचर तर राखि बिहाड़िसं बचबैत अछि। कलकत्ता सं पुनीताक पापा बदली करौलनि। एहि बारह बर्खमे चारि नगरकें देखलहुं। मानसिक रूपसं ई सभ स्वस्थ होइत गेलाह। पुनीता पढ़लकि-लिखलकि, मुदा।

नमनीत द्रवित होम' लागल, "मुदा की?"

"पुनीता ओहि आतंक कें बिसरि नहि सकलि अछि। बिसर'चाहैत अछि, सहज रहैत अछि आ कखनो-कखनो क' मिन पड़ैत छैक तं असहज भ' जाइए. जेना निर्भया बला घटनाक बाद भेल रहए. पछिला बेर मुजफ्फरपुर बला घटना सुनलक तं असहज नहि भेलि, चिन्ता व्यक्त कएलकि। आ राति..." सासु बजैत रहथिन। नवनीत किछु सुनि नहि पाबि रहल छल।

सासु बाजि रहलि छलीह, "ई चारिम व्यक्ति छथि, जिनका ई बात बुझएलनि अछि। हमरा दुनू प्राणीक बाद घटककें कहने रहियनि, मुदा एतेक विस्तारसं नहि। मुदा, घटक हिनका सभकें नहि कहलनि, से । हिनका बारेमे सुनि भरोस भेल जे बुधियार छथिन, हिनका संग पुनीता अपन दंश बिसरि जायति। आब हिनकर जे विचार। हिनका पर कोनो दबाव नहि छनि।"

नवदीपकें बुझएलैक जे ओकर माथ फाटि जएतैक। ओ सासुक गप सुनि नहि पाबि रहल छल। ओ बाजल, "हम एक कप काफी आर पीब' चाहैत छी।"

सासु कलबल उठलीह आ नोर पोछैत कोठरीसं बहरा गेलीह।

नवनीत चुप छल। मौनमीमांसामे लीन।

रातिमे पुनीता आयलि। स्वयंकें सम्हारैत। आबि क' पलंगक एक कोनमे बैसि गेलि।

कने काल दुनू गोटें चुप। पुनीता चुप्पी भंग कएलकि, "राति हमरासं जे अपराध भेल तकर माफी चाहैत छी।"

"धुर, बताहि। पति-पत्नीक पहिल भेंटमे ई माफी-ताफी की होइ छै?"

"से तं किछु नहि। मुदा, बहुत सम्हरलाक बादो हम बेसम्हार भ" जाइ छी। "

"अहांकें हमरा पर विश्वास अछि?" नवदीप बाजल, "पहिने ई बात गिरह बान्हू जे सभ पुरुष एके रंगक नहि होइछ।"

"से बुझ' लगलियैए."

"मुदा, ई कही जे अहाँ बेसम्हार किएक भ' जाइत छी?"

"मोन पड़ि जाइए?"

"की?"

"ओ क्षण।"

"कोन क्षण?"

"हम मोन नहि पाड़' चाहै छी‌"

"हमरा कहू ने।"

"की करब बूझि क?"

"सुनबाक मोन होइए."

"नहि सुनू।"

"मुदा, हमरा सुनबाक मोन होइए."

"हम बिसर' चाहै छी।"

"मुदा, हम चाहै छी जे अहाँ मोन पाड़ी आ हमरा सुनाबी. एक बेर, बस, एक बेर सुन' चाहै छि हम।"

नवदीप पुनीताक दुनू बांहि पकड़ि लेलक आ वाध्य कर' लागल।

पुनीता चुप। कनेकाल चुप रहलाक बाद बाजलि, "हमरा जबर्दस्ती कारमे बैसोलक, से मोन अछि। तकर बाद मोन अछि जे हमर दुनू हाथ आ पएर बान्हि देलक आ..."

पुनीताकें फेर मोन पड़ि गेलैक ओ घटना। फेर असहज भ'गेलि। चिचिया लागलि, "हमरा एतबे मोन अछि जे लाल-लाल आंखि बला रहए. बड़का-बड़का मोछ-दाढ़ी बला रहए. हम चिचिया-चिचिया नेहोरा करैत रहियै-छोड़ि दे रे रछसबा सभ। बहिन-बेटी सन हेबौ। छोड़ि दे रे। माय गे माय। बाबू यौ बाबू। केओ बचाब' हौ। बचाब' अइ रछसबा सभसं। माय गे माय। बचाउ हे सीता मैया।"

नवनीत देखलक। पुनीता बेसम्हार भ'गेलीह। ओ ओकरा भरि पांज क' पजिया लेलक आ बाजल, "होस करू। पुनीता होसमे आउ। अहाँ हमरा लग छी। सुरक्षित छी।"

पुनीता नहूं-नहूँ शान्त भेलि। ओ पसेनासं नहा गेल छलि। नवदीप ओकरे आंचरसं ओकर पसेना पोछि रहल छल। पुनीताक माथ नवदीपक छाती पर छलैक।

नवदीप सोचि रहल छल-भने पुनीताक बारेमे ककरो किछु नहि कहलनि घटक।